हिंदी कविता (आदिकाल एवं निर्गुण भक्ति काव्य)/चाँद-सार लए मुख घटना करू

हिंदी कविता (आदिकाल एवं निर्गुण भक्ति काव्य)
 ← देख देख राधा रूप अपार चाँद-सार लए मुख घटना करू श्रीकृष्ण का प्रेम → 
चाँद-सार लए मुख घटना करू

चाँद-सार लए मुख घटना करू
लोचन चकित चकोरे।
अमिय धोय आँचर धनि पोछल
दह दिसि भेल उँजोरे॥
कुच जुग के वहि बूढ़ निरस उर
कामिनि कोने गढ़ली।
रूप सरूप मोय कहइत असंभव
लोचन लागी रहली॥
गुरू नितम्ब भरे चलए न पारए
माँझहि खीनि निमाई।
भाग जाएत मनसिज धरि राखलि
त्रिवलि लता अरूझाई॥